मैथिली सङ्गीत क्षेत्रमे निरन्तर बढ़ि रहल अश्लीलता त चिन्ताक गप्प अछिए, प्यारोडोक वर्खासँ मैथिलीक अपन निजत्वक बान्ह कमजोर भ’ रहलसन अवस्था अछि। मल्लिकक मैथिली प्रति सिर्जनसब प्रशंसायोग्य आ हालके बयानक चिन्तन स्वागतयोग्य अछि।
वस्तुत: एकटा छोट उदाहरण दैत मैथिलीमे पसरल प्यारोडीकेँ तिखगर वाण मारने छथि। मैथिलीमे मौलिक आ पारम्परिक धुनपर गीत सिर्जना क’ रहल युवा मैथिली सङ्गीतक निजत्व लेल PMP Company Pravesh Mallick नामक अपन यूट्युब चैंनलसँ ब्याक टू ब्याक हीट मैथिली गीतसब द’ रहल छथि।
हुनक ई टटका बयानकेँ बहुत सकारात्मकता आ गम्भिरतासँ मैथिलीक मौलिक सङ्गीत लेल चिन्तन कएनिहारसब ल’ रहल छथि। एहिसँ युवा पिढ़ी सङ्गीतकर्मीकेँ सीख लैत सकारात्मक सोचबाक आ करबाक चाही। नकलसँ क्षणिक चर्चा त बटोरल जा सकैत अछि मुदा आजीवन मौलिक पहिचानक पर्चा नहि गाड़ल जा सकैत अछि वा ई कहि जे आनक धन-सम्पत्ति हरपिक’ कएक दिन धनिकक ढोङ्ग रचि सकैत छी? तहिना मैथिली भाषी कलाकार लोकनिकेँ ई सोचबाक चाही जेँ हमर अहाँक भाषा-सङ्गीतमे कथिके खगता अछि जेँ हिन्दी-नेपाली आन भाषा-सङ्गीतक कनटेन्ट चोरी करबाक लेल बाध्य हएब। आबो अपन क्षमतापर विश्वास रखैत अपना आ अपन धरातलकेँ चिन्हिक’ काज कएलापर मैथिली सङ्गीतक मौलिक पहिचान गढ़थि से हुनक कहब छनि।
Ilovemithila.com सँ बातचित करैत मल्लिक कहलनि, ” मैथिली भाषा-सङ्गीतक लेल प्यारोडी बहुत चिन्ताजनक विषय छै। कलाकारलोकनि जइँ पैसामे प्यारोडी निकालैत अछि ओहिमे किछ original सेहो सोचि सकै छथि। हमरा लग किछ experimental काज अबै, किछ नयापन आ स्तरीय काज अबै त हम सहकार्य लेल तैयार छी। “
श्रोत : मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश
हामी क्षमा चाहन्छौं यो पोस्ट धेरै पुरानो भएको ले कमेन्ट बक्स बन्द गरेको छौं |