विराटनगर । भानु-मोरङ्ग सांस्कृतिक समिति तथा भानु कला केन्द्र, विराटनगरद्वारा बहुभाषिक कविता वाचन, श्रष्टा सम्मान तथा सांस्कृतिक कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि।
मोरङ्ग जिलाक विराटनगर महानगरपालिका वाड नं. १० मे काइल मंगलदिन भेल कविता वाचन कार्यक्रम बीच कवयित्री, गीतकार, कथाकार, करूणा झा तहिना कलमकर्मी डा. विजय पंडित आ मरेठा माखकेँ भानु पदक दैत सम्मान कएल गेल।
एक दर्जन कवयित्रीलोकनिक सहभागी रहल कविता वाचनमे ३ गोटेक उत्कृष्ट कविता छानल गेल गल। उत्कृष्ट कवयित्रीलोकनिकेँ प्रेमक प्रतिक, प्रशंसा पत्र आ चानीक तक्मा प्रदान कएल गेल।
केन्द्रक अध्यक्ष माया पौडेलक अध्यक्षता आ प्रदेश न.१ क प्रदेश प्रमुख परशुराम खापुङ्गक प्रमुख आतिथ्य आ प्रचण्ड पौडेलक संयोजकत्वमे कार्यक्रम सम्पन्न भेल छल।
मिथिला अभियन्ता एवं मैथिलीकर्मी झाकेँ नेपाली, मैथिली आ हिन्दी साहित्य सिर्जना आ कला-संस्कृतिक क्षेत्रमे देल गेल योगदानकेँ कदर करैत २०९ म भानु जयन्तीक अवसरिमे भानु पदकसँ सुशोभित कएल गेल अछि। झाक मैथिली भाषामे भगजोगनी कविता संग्रह आ जीवनदान लघु कथा संग्रह आ आधा दर्जन गीत प्रकाशन अछि। झाक मैथिली गीतसब मधेश आन्दोलनमे चर्चाक उत्कर्ष पएने छल। झा संचार यात्रा नेपाल आ अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली सम्मेलनक अध्यक्ष समेत रहल छथि । – I love Mithila
हामी क्षमा चाहन्छौं यो पोस्ट धेरै पुरानो भएको ले कमेन्ट बक्स बन्द गरेको छौं |